काठमाण्डू, १३ अगहन : नेपाल प्रिमियर लिग (एनपिएल) के टोली जनकपुर बोल्ट्स नेपाल सेरामिक इण्डष्ट्रीकेँ डेकोर पार्टनरमे अनुबन्धित केलक अइछ । एनपिएल शैनदिनसँ सुरु भ रहल अइछ । एहिसँ क्रिकेट क्षेत्रमे उत्साह निरन्तर बढ़ैत जा रहल अइछ । एहि क्रममे नेपोभिट टाइल्स जनकपुर बोल्ट्ससङ डेकोर पार्टनरक रुपमे अनुबन्धित भेल अइछ । जनकपुर बोल्ट्सक परिचालन प्रमुख नीरज खतिवडा आ नेपोभिट टाइल्सक अध्यक्ष शम्भुनाथ झा वृहस्पैतदिन एक समारोहबीच उक्त सम्झौतापत्र आदनप्रदान केलैन । जनकपुर बोल्ट्सक परिचालन प्रमुख खतिवडा कहलैथ– “नेपोभिट टाइल्सकेँ जनकपुर बोल्ट्सके डेकोर पार्टनरक रूपमे स्वागत करैत हमरासभ बहुत खुशी छी ।” एहिना नेपोभिट टाइल्सक अध्यक्ष झा, नेपोभिट टाइल्सकेँ जनकपुर बोल्ट्ससङ डेकोर पार्टनर बनब सम्मानके विषय भेल बताैलैन । “जहिना नेपोभिट परिष्कृतताक सङ ठामँसभके वृद्धि करैत छै, तहिना हमरासभ टीमके सफलताक यात्राकेँ सेहो आगू बढ़ेबाक आश करैत छी”, ओ कहलैन । बाराके जितपुरमे २०७९ सालमे स्थापित नेपोभिट टाइल्स घरायसी तथा व्यावसायिक प्रयोजनक लेल नेपालेमे अन्तर्राष्ट्रिय स्तरके टाइल्स उत्पादन करैत आएल अइछ । रासस

प्रतिक्रिया

सम्बन्धित खवर

ताजा समाचार

लोकप्रिय

error: Content is protected !!